Aditya Narayana Mishra
Aditya Narayana MishraCourseLiteraturePoetry
11 Apr 2021·1 min read·1·

हमर भीखना

रचल बसल दूरहि देश नेना एलय कोन रोग सरधुआ वायरस कोरोना

चिंता लागल गाम मे माय बाप केँ हेत कोना हमर परदेश ललना एलय कोन रोग सरधुआ वायरस कोरोना

चिट्ठी पुरजी नहि जानि करिया अक्षर ककरा सँ पुछियै करबै कुन टोना एलय कोन रोग सरधुआ वायरस कोरोना

मथ दुखी खोंखी जराकँ बुखार सुनि सभहक मुँहे एकर बहाना एलय कोन रोग सरधुआ वायरस कोरोना

चिक्कन चुनमुन रहु सभकेयो हठघरि नाक निमन टुकड़ा राखि करि छींकना एलय कोन रोग सरधुआ वायरस कोरोना

गरीबक जिनगी कोना कटतय भगवन माटि मे सानल रहय हमर भीखना एलय कोन रोग सरधुआ वायरस कोरोना

हे सूरज देव उग जरि क जे छटपटायलक दुनिया जरै ओहिना एलय कोन रोग सरधुआ वायरस कोरोना

जड़ी बूटी सँ "आदित्य "आव जुरिऔ नहि त लेत प्राण नव - नव बुहाना एलय कोन रोग सरधुआ वायरस कोरोना ©आदित्य मिश्र ( उफरदाहा ,दरभंगा) १५-०३-२०२०